Friday 7 September 2012

मातृभाषा इ-पत्रिका पहिल अंक 15/09/12 स 30/9/12



प्रिय पाठक;
मातृभाषा केर प्रथम अंक संग उपस्थित छी जे मैथिलीक अमर सेनानी मणिपद्म केर चरण में समर्पित अछि. ई क्रम आगू चलैत रहत. परम्पराक सम्मान; वर्तमानक स्वागत आ भविष्यक ओरियान पत्रिकाक लक्ष्य अछि. सकारात्मक चिंतन आ सतसाहित्यक आग्रही छी. रचना सादर आमंत्रित अछि. 
 
सुअन पसंसही कब्ब मझु दुज्जन बोलहि मंद
अवसर विषहर विष बमई अमिय विमुक्कई चन्द 

- विद्यापति
                                                                                                      अपनेक
                                                                                           रोशन कुमार झा मैथिल 



*********************************************************************************
सम्पादक         - अमलेंदु शेखर पाठक 
उप सम्पादक    - रोशन कुमार झा मैथिल 

 विषय  सूचि 

1 सम्पादकीय

लोक-देवताक अनन्य उपासक ‘मणिपद्म’

3 मैथिल किंकर्तव्यमूढ़ किए ? ( चन्दन कुमार झा )

4 आधुनिक नहि भेल ग्रामीण मैथिली रंगमंच(कुमार शैलेन्द्र )

5' ध्वंस-पर्व' चिन्तनक नव सर्जन-पर्व(स्व. जगदीश प्रसाद कर्ण )


6 मिथिला-मैथिली-मैथिल(अमलेन्दु शेखर पाठक)

7 मिथिलाक स्वर्णिम इतिहासक साक्ष्य : कन्दाहाक सूर्य मन्दिर( डॉ. शंकरदेव झा)

8 फेसबुकिया परिवार(प्रवीन नारायण चौधरी )

9 कर्तव्य निर्वाह(अमित कुमार मिश्र)

10 बाल गजल (अमित कुमार मिश्र)

11 मैथिली’ पर चुप्पी (रौशन कुमार झा 'मैथिल')

12 डोमकच (कृष्णानंद चौधरी )



*********************************************************************************
सम्पादकीय 

ककरा चाही मैथिली

मास्टर साहेबकेँ गौआँ सभ घेरि लेलकनि आ मारिपीट करबापर उतारू भऽ गेलनि। मास्टर साहेबक गलती छल जे ओ धीयापूता सभकेँ मैथिलीमे पढ़बऽ लागल छला। ई सूनल अछि। मास्टर साहेब छला मैथिली पुत्र प्रदीप। ई घटना भेल छल मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी दरभंगामे। ओहि दरभंगामे जाहि ठामसँ मैथिलीकेँ प्राथमिक शिक्षाक माध्यम बनेबाक माङ प्राय: रोजे उठैत रहैत अछि। प्रदीपजीक सङ एहन व्यवहारपर उतारू भेल छल ओ समाज जकरापर दोषारोपण होइत अछि जे ओ मैथिलीकेँ छेकने रहल। दफानने रहल।
दोसर घटना कही। मैथिली अकादमी पटनाक अस्तित्वपर हमला भेल छल। बिहारमे राष्ट्रपति शासन लागल छल। राज्यपालक पदपर सरदार बूटा सिंह विराजमान छला। बिहारक सभ अकादमीक सङ मैथिली अकादमीकेँ सेहो भंग कऽ देबाक तुगलकी फरमान जारी भेल छल। ओहि समयमे समाचार-पत्र दैनिक जागरणसँ जुड़ल रही। एहि मामिलाकेँ जन-अदालतिमे लऽ गेल रही। एहि विषयपर समाजक विविध वर्गक विचार बात जानी साफ कॉलम केर अन्तर्गत प्रकाशित करब शुरू भेल। भूपेन्द्र नारायण मण्डल विश्वविद्यालयक पूर्व कुलपति डॉ. रामबदन यादवसँ एहिपर विचार लेबऽ गेल रही। ओ अपन हृदयक भाव प्रश्नक माध्यमे रखलनि- अहाँ सभ मैथिलीकेँ प्राथमिक शिक्षाक माध्यम बनबऽ चाहै छी से किए? अहाँक बेटा पढ़त अंग्रेजी आ सरकारी स्कूलमे पढ़ऽवला गरीब-गुरबाक बच्चा पढ़त मैथिली?
मैथिली अकादमीएसँ सम्बन्धित अछि तेसर घटना। विचार लेबा लेल ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक पूर्व कुलसचिव डॉ. राजनन्दन यादवक डेनवी रोड दरभंगा स्थित विश्वविद्यालयीय आवासपर गेल रही। बातचीत चलि रहल छल कि डॉ. यादव अकस्मात हमरा जेबीसँ कलम निकालऽ लगला। हमर हाथ अनचोके जेबीपर चलि गेल आ कलम लेबा लेल बढ़ल हुनक हाथकेँ रोकि देलक। एहिपर डॉ. यादवक उक्ति छल- कलम सन साधारण वस्तुक सुरक्षा लेल अहाँ साकांक्ष छी किए तँ एकरा अपन मानै छी। तखन मैथिलीक सुरक्षा लेल समाज किए ने साकांक्ष अछि? लगले अपने उत्तरो देलनि- एहि दुआरे जे कलमकेँ अहाँ अपन सम्पत्ति मानै छी। ई अहाँक अपन उपार्जित वस्तु अछि। एहिसँ लगाव अछि। जहिया समाज मैथिलीकेँ अपन बुझत तहिया बिना कहने एकर रक्षा लेल ठाढ़ भऽ जायत। जहिया मैथिलीक अधिकार जनता अर्जित करत तहिया एकर सुरक्षा लेल बिना ककरो कहने जुटत। मैथिलीकेँ संविधानक आठम अनुसूचीमे स्थान भेटि गेलै। ई के अर्जित केलक। ई समाज नहि अर्जित केलक। ई भेल डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू आ अहाँ सन-सन लोकक प्रयासँ। एहिमे जनताक सहभागिता कहाँ छलै? मैथिली अकादमी पटनोक सन्दर्भमे एहने बात अछि।
ई तीनू मैथिलीक स्थिति स्पष्ट करैत अछि। तीनू कहैत अछि जे मैथिलीसँ समाजकेँ एखन धरि जोड़ल नहि जा सकल अछि। समाज आ आन्दोलन नदीक दू किनारपर ठाढ़ अछि। एक-दोसरा दिस देखबोक पलखति नहि छै। आइ धरि एहन कोनो आन्दोलन अथवा अभियान नहि चलल जे समाजकेँ संग लऽ चलबाक प्रयास केने हो। हँ, घोषणा धरि अवश्य होइत रहल अछि। ओहि घोषणापर अमल करबाक ठोस डेग कहियो नहि उठल। आ मैथिली आन्दोलन अमरलत्ती जकाँ चतरि-पसरि रहल अछि। प्राथमिक शिक्षाक माध्यम मैथिलीकेँ बनयबाक लेल संकल्प लेल जा रहल अछि। धरना-प्रदर्शनो होइत अछि। अखबारमे समाचारो देखबामे अबैत अछि, मुदा एहि सभमे गनल-गूथल नाम अछि जे सभतरि भेटैछ। तहिना आन्दोलनक स्वर उठबाक क्षेत्रो निर्धारित अछि-दरभंगा आ कि मधुबनी। आन कोनो ठामसँ जँ आन्दोलनक घोष सुनबामे अबितो अछि तँ बेसी काल लोक धरि वैह रहैत छथि जे दरभंगा किंवा मधुबनीमे रहैत अछि। एहना स्थितिमे मैथिली आन्दोलन कोना जड़ि पकड़त? की हमरा लोकनि मैथिली-मिथिलाक विकासक जड़ि रोपब? आकि दिल्लीक जन्तर-मन्तरपर धरना दऽ अपन कर्तव्यक इतिश्री करैत रहब? हमरा लोकनिकेँ ई सतत ध्यान रखबाक चाही जे जानि कऽ अथवा अनजानोमे जे बीज रोपब तकरे गाछ होयत आ तदनुरूपे फल भेटत। तँ की हमरा लोकनि मैथिली आन्दोलनक गाछे नहि रोपि रहल छी? 
                                            
                                                                      1
*********************************************************************************

लोक-देवताक अनन्य उपासक ‘मणिपद्म’

    जँ मैथिली भाषा-साहित्य आ मिथिलाक माटि-पानिक सुगन्धि आ स्वाद एक ठाम पयबाक हो तँ मणिपद्मकेँ पढ़ू। मणिपद्म माने ब्रजकिशोर वर्मा ‘मणिपद्म’। दरभंगा जिलाक बहेड़ा गाममे 7 सितम्बर 1918 केँ जन्म लेनिहार मणिपद्म जे एके संग कवि, कथाकार, उपन्यासकार, नाटककार, अनुसन्धानकर्त्ता सभ किछु छला। मैथिलीकेँ विकासक नव बाटपर आगाँ बढ़यबाक अभियानमे सदिखन जुटल रहला। खास कऽ लोक-देवता लोकनिकेँ साहित्यमे प्रतिष्ठित करबाक हिनक अवदान अभूतपूर्व अछि। बहुभाषाविद छला। मैथिलीक संग हिन्दी, अंग्रेजी आ बङलाक ज्ञाता छला। हिनक लेखन पूर्णत: मातृभाषा मैथिलीकेँ समर्पित रहलनि। आजीवन मैथिलीक भण्डारकेँ भरबामे जुटल रहला।
हिनक रचना-संसार बड़ पैघ अछि जाहिमेसँ विद्यापति (1960), कोब्रागर्ल (1970), लोरिक विजय (1970), नैका बनिजारा (1972), राजा सल्हेश (1972), लवहरि-कुशहरि (1976), राय रणपाल (1976), फुटपाथ (1978), दुलरा दयाल आ अर्द्धनारीश्वर (1981), कनकी, कण्ठहार, झुमकी, भारतीक बिलाड़ि आदि प्रमुख अछि। हिनका नैका बनिजारा उपन्यासपर साहित्य अकादेमीक पुरस्कार प्राप्त भेलनि। मणिपद्म कुशी प्रांगणेर चिट्ठी आ बङला साहित्यकेर इतिहासक अनुवाद सेहो कयलनि। कविता कम लिखलनि, मुदा जे लिखलनि से साहित्यक अमूल्य निधि अछि। ई होमियोपैथिक चिकित्सक सेहो छला आ मिथिला-मैथिलीमे व्याप्त बहुत रास बेमारीक इलाज अपना साहित्य-सर्जनसँ केलनि। हिनक बहुत रास रचना पत्र-पत्रिकामे छिड़िआयल पड़ल पुस्तकाकार प्रकाशनक बाट ताकि रहल अछि। आवश्यकता अछि एहि दिशामे ठोस डेग उठेबाक।
सय-सय गंगाजलसँ धोने
नहि छूटय इतिहासक दाग ।
एक बेर भू-लुण्ठित भेने
फेर चढ़य नहि माथा पाग ।।
सोना बेटा कटय भूमिमे
तखन कोन सोनाकेर मोल ।
रे प्रताप जूझय हल्दीमे
भामा साह खजाना खोल ।।
कञ्चन जंघा डगमग-डगमग
मानसरोवरमे तूफान ।
जय-जय भैरवि असुर भयाउनि
अधर-अधरपर गूजय गान ।।
                                                                              2
**********************************************************************************
मैथिल किंकर्तव्यमूढ़ किए ?

              - चन्दन कुमार झा 


मिथिला राज्यक माँगक औचित्यपर बहसमे भाग लैत काल किछु व्यक्ति कहै छथि जे बिहार सरकार द्वारा मिथिलाक विकासक लेल समुचित धेयान नहि देल जा रहल अछि | बहुत हदधरि ई कथन सही अछि मुदा फेर ओ सभ एकरा जातिवाद आ साम्प्रदायिकता से जोड़ि दैत छथि | ई तथाकथित आंदोलनकारी(कागजी) सभ बिसरि जाइ छथि जे प्रस्तावित पृथक मिथिला प्रदेश, जकर ओ मांग कए रहल छथि ओहूठाम विभिन्न जाति आ' समुदायक लोक रहैत अछि आ हमर सभक ई आंदोलन तखने सफल होयत जखन एहि क्षेत्रक सभ जातिक आ समुदायक के संग मे जोड़ब | नीतीश वा केन्द्र सरकारपर मुस्लिम तुष्टीकरणक आरोप लगयबाक स्थानपर हमरा सभ के पृथक मिथिलाक लेल आंदोलनरत संस्था सभमे मैथिल मुसलमान आ आन-आन जाति आ समुदाय के जोड़बा पर धेयान देबाक चाही....फेर राज्य आ' केन्द्र सरकार हमर सभक बात अनेरे सुनत. धेयान राखू जे झारखण्ड मे झारखण्ड मुक्ति मोर्चा लग बोट बैंक छलै आ' तेलंगानामे तेलंगाना राष्ट्र समिती लग बोट बैंक छै आ तइँ ओकर सभक आंदोलन बेशी धरगर भेलै.मैथिलीक राजनैतिक आंदोलन मे सेहो वोट बैंकक आवश्यकता छै आ हमरा सभकेँ सभसँ पहिने सएह तैयार करबाक चाही.

पृथक मिथिला राज्य एकटा सूच्चा राजनैतिक विषय छै.हमरा जनैत एक्को प्रतिशत मैथिल (आमजन) एहि मांगसँ असहमति नहि रखैत छथि मुदा समस्या छै जे आंदोलनकारी अगुआ संस्था सभ कहियो एहि दिशामे कोनो ठोस योजना बनेबे नहि केलक जे आम मैथिल एहि आंदोलनसँ कोना  जुड़त.एकटा लोकप्रिय राजनैतिक दल जे एहि मांग के राजनैतिक मंचपर सशक्त ढंग सँ उठाबय तकरो नितांत अभाव अछि .फेर जाबत राजनैतिक दल नहि हेतैक ताबत लोक नेता ककरा मानत?कक्कर बात पर लोक के बिसबास हेतै? एहि मांगक समर्थनमे एखन अनेक संस्था अनेक तरहक तर्क दैत भेटत मुदा सभके अपन-अपन तर्क छैक, एक-दोसरा सँ बेमेल.फेर आमजनता ककरा सत्य मानत ? झारखण्डमे झामुमो आ तेलंगानामे तेरास. लग नेता छेलै...वोट बैंक छेलै आ तइँ दिल्ली तक ओकर आबाज धेयान दऽ सुनल गेलैक..मिथिलाक राजनैतिक प्रतिनीधि एखनो तैयार नहि छथि ई आबाज उठेबा लेल.किएक तऽ हुनका लगै छन्हि जे एहि मुद्दा के समर्थक नहि छैक.आइ यदि मिथिला अलगो भऽ जेतैक तऽ ओकर नेतृत्व के करतैक ? कोन विकासक माडल अपनाओल जेतैक.??

एखन जरुरति छै जे मिथिला राज्यक लेल जनजागरणक संग समानांतर रुपेँ किछु काज कएल जाए.

१.बिहार प्रशासनिक सेवा,प्राथमिक आ' स्कुली शिक्षा मे मैथिली के लेल निर्णायक आंदोलन कयल जाए.

२.मिथिला मे सरकार द्वारा प्रस्तावित विकास कार्यक्रमक कुशल क्रियान्वयनक लेल राजनेता सभ पर दबाव बनाओल जाए.

३.मिथिला क्षेत्र मे समस्त सार्वजनिक जगह पर मिथिलाक्षर मे नाम अंकित कयल जाए.

ई सभटा मिथिला राज्यक सीमांकनमे सेहो सहायक हेतै.बहुत रास एहनो काज छै जे बिना कोनो संस्थाक व्यक्तिगत स्तर पर सेहो कएल जा सकैत अछि आ ई मैथिली आंदोलन लेल अत्यंत महत्वपूर्ण साबित हेतैक जेनाः-

१.समस्त प्रवासी मैथिल मिथिलाक चिंता सेहो करथि जे कोना  रोजगारक अवसर बढ़तै

२.सभ मैथिल ई दृढ निश्चय करथि जे ओ जे कोनो सरकारी पत्राचार (जेना आर.टी.आई.) करता सभ मात्र मैथिलीए मे आ ओकर उत्तरो मात्र मैथिलीए मे स्वीकार करता...एहिसँ सरकार के मजबुरीमें  मैथिल जननिहार कर्मचारी केँ नियुक्त करय परतैक.

एखन संघर्षरत संस्था सभक अगुआ कहैत छथि जे आम मैथिल मे इक्षाशक्तिक कमी छै.ओकरा मैथिली आंदोलन सँ रुचि नहि छै. कार्यकर्ता के अभाव छै. फेर जखन कार्यकर्ते नहि छै तखन नेता के परिकल्पना कोना.?  मुदा,हमर मानब अछि जे जहिया मिथिलाक गाम-घर मे रहनिहार आम मैथिल केँ एकटा उदार आ' ईमानदार नेतृत्वकर्ता भेटि जेतै तहिया निश्चिते ईहो सभ सड़क पर आबि जयता.ठीक ओहिना जहिना एखन अन्ना 
...
    सत्य बात छैक जे संस्था सभकेँ काया मे घून लागल छैक से सर्वविदित छैक मुदा जौँ सैह बात कियो कहि दैत छैक तऽ  सभ ओकरे फज्जति करय लगैतछैक,बुड़ि बनेबाक कुचेष्टा करैत छैक दिनानुदिन अपन दुर्गति करैत अछि.आई धरि अधिकांश मिथिला-मैथिली करय बला संस्था संस्थान सभ मिथिलाविभूती पर्व सँ आगाँ नहि बढ़ि सकल अछि.वर्तमान समय मे शाइते कोनो एहन संस्था होयत जे साल मे एहि विभूती पर्व समारोह मे एक लाख सँ कम्म बुकैतहोयतआब कने सोचियौ जे एहि मे सँ दसांशो यदि मैथिलीक विलुप्त भेल किताब के फेर सँ छपयबा मे खर्च करत तऽ मैथिली के बेसी सेवा हेतैक कि नहि.?आइनेता बनबाक होड़ मचल छैक सगरोलेकिन गोटेके आधे एहन संस्था छैक जकरा लग भविष्यक योजना छैक  मात्र ओही दिशा मे काज करैत अछि.
हम  नहि कहैत छी जे  समारोह करय मे परिश्रम नहि होइत छैक मुदा दीर्घावधि मे कल्याणकारी योजना सेहो हेबाक चाही.ओकर कार्यान्वयन सेहो हेबाकचाही.समारोह मे घोषणा बड्ड् होइत छैक.मुदा,समारोह खतम होइतहि घोषणा कयनिहार निपत्ता भऽ जाइत अछि वा घोषणा के बिसरि कोनो आन घोषणाक तैयारीकरय लगैत छथि.संस्था सभ नेता पुँजीपति के मंच पर अनैत छथि  सभ सहयोगक लेल घोषणा करैत छथिन्ह मुदा फेर कहियो घुरि के तकैत नहिछथि..तखन फेर हुनक सनमान मे लाखो किएक बुकल जाए निरर्थक प्रयास कयल जाएदिल्ली,गुआहाटी,कोलकाता,मुम्बई मे आंदोलन जनचेतनाकयला सँ किछु नहि हेतैक जावत गाम-घरक चौक पर लोक धरना-प्रदर्शन नहि करतएहिठाम लोक हरदम संसाधन जुटेबा सँ पहिने खर्चक ब्यौरा तैयार करैतअछि से फेर घाटा लागि जाइत छैक  दोसर बेर  घाटापुर्ति के चक्कर मे आंदोलन वा कार्यक्रमे शिथिल भऽ जाइत छैकमात्र आंदोलन ठाढ़ कयला सँ किछु नहिहोइत छैक बल्कि ओकरा चलौनाइ जरूरी छैक.आंदोलनक पाछाँ आंदोलनकारीक दिनानुदिन बढ़ैत संख्या जरूरी होइत छैक.जतेक नाच-गान एहि विभूति समारोहसभ मे होइत छैक ओहि सँ बेसी दुर्गापूजा मे गामेगाम ईहे गायक-गायिका सभ करैत छथि 'से देखबै तऽ एहि संस्था सँ बेशी तखन मैथिलीक प्रचार  पूजासमिती सभ करैत छैक.
गामक मुखियापंचसरपंचशिक्षामित्र,स्वास्थ्य मित्रक काज के मुल्यांकन लोक कहियो नहि करैत अछि..ओकर निर्वाचनक समय ओकर ईमानदारी कर्मठताकेँ ककरो धेयान नहि रहैत छैक मुदा राज्य सरकार दिल्ली सरकार के गारि पढइत सभ भेटत.आइ बेसी लोक अपने देश मे अपने समाज मे व्यवस्था सँ दुखीभेटताह.हुनका अपने देश-समाज पर विश्वास नहि छन्हि 'से कहैत भेटताह जे एहि सँ नीक तऽ अंगरेजे जमाना छेलैक.जाहिठामक नागरिक मे एतेक असंतोषछैक ओहि देश-समाजक उत्थान कोनो संस्थाक समाजसेवा सँ नहि बल्कि व्यवस्था परिवर्तन सँ हेतैक ताहि लेल नेतृत्वकर्ता के ताकैए पड़तैक.ईहो कहबसर्वथा सत्य नहि जे लोक नेता मानै लेल तैयार नहि अछि ककरो.एहिठाम तऽ व्यवस्था छैक नेता बनबाक हेतु एकबेर मैदान मे आबि के तऽ देखियौ. जँ अहाँ केआम जनता स्वीकार नहि करत तऽ अहाँकेँ कोनो आंदोलन ठनबाक कोन औचित्य.?
संस्कृतिक रक्षा सांस्कृतिक कार्यक्रम सँ नहि अपितु लोकक संस्कार सँ होइत छैक 'से लोक के नीक संस्कार भेटैक तकर व्यवस्था करब बेसी आवश्यकछैक.सांस्कृतिक कार्यक्रम असल मे भीड़ जुटेबाक एकटा हथियार छैक से मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो बेस भीड़ जुटबैत अछि मुदा तथाकथित नेता ओहिभीड़ के कार्यकर्ता नहि बना पबैत छथि किएक तऽ हुनका मंच परहुक गुटबाजी सँ पलखतिए नहि भेटैत छन्हि.एहना मे लोक सभ सेहो किछु कुकूर कटोझी तऽकिछु गीत-नाद देखि-सुनि अपन-अपन दैनंदिनी मे लागि जाइत अछि.मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन मात्र अपन ढ़ेका बन्हबाकपाग पहिरबाक,दोपटाओढ़बाक बहन्ना होइछ.किछु बुधियार लोक सामाजिक उत्थानक नाम पर अपन उत्थान सेहो कऽ लैत छथि फेर गारि सम्मिलित रुपेँ सभ सहकर्मी के सुनबैतछथि.किछु नव-प्रतिभाक आगाँ अनबाक बात कहैत अपन भातिज-भागिन के अपन उत्तराधिकारी सेहो बना जाइत छथि.
मैथिल सेवीक एकटा आर बड़का दुर्गूण छैक जे जेकियो बेशी चंदा दैछ  ओकरे गुनगाण करैत भेटताह.गाम मे ककरो बेगारी खटाककरो डीह लिखाककरो जमीनधकिया तऽ ककरो उजारि के भगौनिहार जमींदार  बाहर मे सरकारी धनकेँ लुटिनिहार बेइमान उद्योगपति,समाजसेवीजनताक घेंटकटिनिहार नेता,सत्ताधारी 'भ्रष्ट अफसर के संस्था सब मिथिला विभूती सँ सम्मानित करैत छथि फेर पीडित लोक एहन मंचासीन सभकेँ नेता किएक मानत?आयोजनक हेतु चंदा तऽआवश्यक छैक मुदा से जे आम जन सँ तसीलल जाय तऽ बेशी नीक..वासर्वोत्तम तऽ तखन हेतैक जखन  संस्था सभ स्वाबलंबित हुअए.शुरुआती समय मे चंदालिअलेकिन फेर आयोजन मे घाटा नहि लगाउ बल्कि किछु टाका बचा संस्था के ठोस बनबैत स्वपोषित बनाउ.फेर लोक शंको नहि करत.मुदा त्वरित प्रतिष्ठा 'फुसियाहिक नाम कमेबाक चक्कर मे  सभ नमहर-नमहर आयोजन कऽ अपन मूड़ी अपने उखड़ि मे लऽ लैत अछि फेर कहैत छैक जे देखियौ लोक हमराथकुचक प्रयास कऽ रहल अछि.जाहि समाज मे लोक सम्मान पाबैक लेल चंदा देत ( चाहे  नेता हो कि केयो आनओहि समाज मे ओहन समाजसेवी सँ उत्थानकहियो नहि हेतैक.विडम्बना तऽ ईहो छैक जे मंच सँ उतरिते फेर ओहि नेता सभकेँजे विपत्तिक काल मे मददि दैत छथि माने चंदा के ओरियाओन करैत छथिहुनका गारियो फेर कोनो संस्थे द्वारा पढल जाइत छैक.आम जनता तऽ कींकर्तव्यविमूढ़े भेल रहैछ.
                                                                          

                                                                          3
*********************************************************************************

आधुनिक नहि भेल ग्रामीण मैथिली रंगमंच
          - कुमार शैलेन्द्र 

बेसी दिन नहि बीतल अछि जखन ई बूझल जाइत रहल अछि जे मैथिली क जे रंगमंच कतहु कोनहु हालति मे अछि तऽ से कोलकाता की पटना में अछि। किछु आन शहर सेहो अछि जाहि ठाम मैथिली रंगमंचक हलचल देखल जाइत रहल अछि मुदा ओहि ठामक रंगमंच के कहियो गंभीरता सँ नहि लेल गेल तथापि ओहि ठामक रंगमंचक  संबंध में ई मानि लेल गेल जे एकरो मैथिली रंगमंच में एकतरहक योगदान अछि। मैथिली रंगमंचक संबंध में ई बात अजगुत लगैत अछि जे एकर सक्रियता शहर सभ में बेसी छैक आ ग्रामीण स्तर पर मैथिली रंगमंच आधुनिकताक लहरि सँ एकदम सँ फराक अछि। मैथिलीक ग्रामीण रंगमंच एहन दयनीय स्थिति में किएक रहि गेल से विवादक विषय तऽ अछिए खोजक विषय सेहो अछि। एकैसम सदी मे एलाक बादो मैथिलीक ग्रामीण रंगमंच अपन दशामे कोनो सुधार नञि आनि सकल अछि आ ओ तहिना अपन डेग आगां बढ़ा रहल अछि जेना पछिला शताब्दी में कुहरैत आगां बढ़ि रहल छल। ई कहि सकैत छी जे मिथिलाक गाम सभ में मैथिली रंगमंचक आधुनिक स्थिति नहि अछि। ओना पछिला  शताब्दी में बहुत रास गाम एहन छल जाहि ठाम मैथिली नाटक कमोबेस होइत रहल छल  मुदा आधुनिक रंग तकनीक उपलब्ध नञि रहबाक कारणे ओहि ठामक मैथिली रंगमंच अपन अपेक्षित प्रभाव नहि छोड़ि सकल।
मैथिलीक आधुनिक  रंगमंचक विकास गाममे नहि भेल कारण जे मिथिला शहरीकरणसँ प्रभावित नञि भेल। मिथिलाक लोक शहर दिस पलायन करैत रहल मुदा शहरक उजास गाम अनबामें मैथिल नागरिक लोकनिक रुचि नञि रहल। मिथिलाक  लोक आगां बढ़ैत रहल, मुदा मिथिलाक गामक  विकास नञि भेल। गाम अपन पुरातन स्थितिसँ आर खराब स्थिति दिस आगां बढ़ैत चलि गेल। गामक बदहाली जेना आन क्षेत्रमे अपन प्रभाव छोड़लक तहिना ओ रंगमंच के सेहो प्रभावित कएलक। बदहाल गाम सभक रंगमंच सेहो बदहालीक शिकार होईत रहल आ ओकरा में कोनो गुणात्मक सुधार नहि भऽ सक लैक।   
कहियो मिथिलांचलमे जे ग्रामीण रंगमंच छल से किछु तहिना छल जेना भारतक आन भाषाक रंगमंच रहय। आन ठामक रंगमंच में बदलैत समयक संग जे बदलाव आएल तकर छाप मैथिली रंगमंच पर नहि पड़ल। फल ई भेल जे मैथिली रंगमंच अपन पुरान स्वरूप के पकड़ने रहि गेल। किरतनिञा रंगमंच के जे स्वरूप छलैक आ तकर बाद पारसी रंगमंच जे अपन असरि मिथिलाक रंगमंच पर छोड़लक तकर नोकसान ई भेल जे मैथिली रंगमंचक कोनो मौलिक स्वरूप गाम में नहि बनि सकल।    
किरतनिञा रंगमंच आ पारसी रंगमंच क प्रभाव मे पड़ल मैथिली रंगमंचक अपन कोनो स्वरूप नहि बनबाक पाछां एकटा खास कारण इहो अछि जे मिथिलामे रंगमंचक प्रति आदरक भाव नई रहल। जें रंगमंच के आदर नञि भेटि सकलैक तें कलाकार लोकनि केँ सेहो आदर नञि भेटि सकलैक। एकरा एक प्रमुख कारणक रूप में मानल जा सकैत अछि जे समाजक अनादर दृष्टिकोणक कारणे तत्कालीन लोक नाटक आ रंगमंच के ँ स्वेच्छा सँ नञि अपनौलक।  जे अपनौलक से अनिच्छा सँ अपनौलक आ समाज अपन दृष्टिकोणक कारणे तकरा सब के आदर नञि देलक। रंगकर्मी आ रंगकर्म के आदर नई देबाक ई प्रवृत्ति साहित्यिक लेखन में सेहो बनल रहल। ओहि सँ भेटल उपेक्षाक कारणे रंगमंच मिथिला मे कोनो अपेक्षित प्रभाव नहि छोड़ि सकल।  
किरतनिञा रंगमंचक पराभवक बाद उनैसम शताब्दीक आरंभ मे पारसी रंगमंच अस्तित्व मे आएल छल आ मिथिला मे सेहो उमाकांत सन किछु व्यावसायिक रंगकर्मी अपन दल बना कऽ रंगकर्मक व्यवसाय अपनौलनि। समाज उमाकांत क दलक प्रदर्शन के पसिन केलक, ओकर प्रदर्शन सँ जतेक मनोरंजन दुहबाक भेलैक से दुहलक आ तकर बाद ओकरा बिसारि देलक। मैथिली रंगमंचक जे इतिहास अछि ताहि में उमाकांत सन दलक कोनो विशेष चर्च एहू दुआरे नहि अछि कारण जे ओ मैथिली भाषा मे रंगकर्म नहि करैत रहथि। हुनक पारसी रंगमंच हिन्दी की उर्दूक नाटक सभक मंचन करैत छल। स्थानीय स्तर पर हुनक नाटक सभ लोकक मनोरंजन करैत छल मुदा भारतक पारसी रंगमंचक दुनिञा मे जें की एक सँ बढ़ि कऽ एक पैघ महारथी छल तेँ उमाकांतक पारसी नाट्य दलक कतहु कोनो मोजर नहि भऽ सकल।  मुदा एक बात तँ मानहि पड़त जे ग्रामीण मैथिली रंगमंच पर उमाकांतक प्रभाव अछि। आजुक ग्रामीण मैथिली नाटक मे जे अभिनय कला अछि से उमाकांतक मैथिली थियेटरसँ अत्यंत प्रभावित अछि।  

                                                                       4

*********************************************************************************

''ध्वंस-पर्व' चिन्तनक नव सर्जन-पर्व
          - स्व. जगदीश प्रसाद कर्ण 

(स्व. जगदीश प्रसाद कर्ण अंग्रेजीक विद्वान शिक्षक आ मैथिलीक लेखक छलाह। मैथिलीक सर्वांगीण विकासक लेल विद्यापति पर्व समारोह सपना बुननिहार मैथिली दधीचि बाबू भोलालाल दासक सुपुत्र स्व. कर्ण प्रो. शिवाकान्त पाठक केर कविता संग्रह 'ध्वंस पर्व'पर एकगोट समीक्षा पोथी लिखलनि। नाम देलनि 'ध्वंस पर्व' चिन्तनक नव सर्जन-पर्व आ पाण्डुलिपि कविकेँ दऽ देलनि। ई प्रकाशनक प्रतीक्षामे पछिला 20 वर्षसँ पड़ल अछि। एकर प्रकाशनक उद्देश्य स्व. कर्णक आयास-प्रयासकेँ समक्ष आनब अछि। हुनक कविता-कथा पत्र-पत्रिकामे छिड़िाएल अछि। स्व. कर्णक ई प्राय: पहिले पोथी थिक। एहि अंकसँ कविता संग्रहक किछु कविताक संग ओकर समीक्षा पोथीक अंश प्रकाशन क्रमश: होयत। - स.)

स्पर्शाघात : चिन्तन-प्रेरणा 

    जखन श्री   शिवाकान्त पाठक हमरा हाथमे अपन कविता-संकलन 'ध्वंस-पर्व' तँ दीर्घकालीन अस्वस्थताक दोसर चपेटमे हम अचेत-निश्चेष्ट भेल पड़ल छलहुँ। ओ हाथमे 'ध्वंस-पर्व' की धरा देलन्हि ओहि दशामे बूझू शत-सहस्त्र वोल्टकेर विद्युद्धारासँ हमरा सटा देलन्हि आ अपने चल गेलाह। मुदा हम 'बाप रे बाप' नहि कैलहुँ (लोकक तन अस्वस्थ होइत छैक, मन वा आत्मा नहि), हम अपनाकेँ सटौनहि रहलहुँ। बूझि पड़ल शिवे जकाँ हम तनि कऽ ठाढ़ भऽ गेलहुँ आ अपन जटाजूट फोलि ओहि 'सहस्रमुख धार' विद्युद्धारक बज्र-प्रहारकेँ अपना ऊपर रोकि लेलहुँ। आब जँ ओहि धाराकेँ अहाँमे संक्रमित कऽ रहल होइ तँ कोनो आश्चर्य नहि। 
    समीक्षा-समालोचनो अपनामे एक सर्जने होइत अछि। 'ध्वंस-पर्व' हमर विचारकेँ एना उत्तेजित कैलक जे हमरा हेतु ओ चिन्तनक नव सर्जन-पर्व बनि गेल। कविता, विशुद्ध कविता, ध्वंस-पर्वहुक उद्योगमे वस्तुत: एक सृष्टिए होइत अछि। से एहि काव्य-संकलनमे कवि शिवाकान्त विशुद्ध काव्य-भूमिपर ठाढ़ छथि, जे हुनकासँ अपेक्षितो छल। कारण, ओ कविताक एहन कोनो अध्यायसँ नहि गुजरलाह अछि जे क्रान्तिकारिता, आदर्शवादिता आ अनेक नवताक भ्रम-कुहेलिकाक सर्जन कऽ पाठकक मानसकेँ मृग-मरीचिकामे धकेलि दैत अछि। वस्तुत: ओ सर्जन होइते नहि अछि। 
    विचार मानसकेँ आ जगत्केँ एना प्रभावित करैत अछि जेना विश्वक कोनो शक्ति, खाहे परमाणिवके किए नहि हो, प्रभावित नहि कऽ सकैत अछि। पहिने मानवक विचार प्रदूषित होइत अछि तखन जीवन, प्रकृति आ पर्यावरणमे प्रदूषण उत्पन्न होयब प्रारम्भ होइत अछि। तेँ जँ पर्यावरणकेँ शुद्ध करबाक हो तँ पहिने मानसकेँ परिशुद्ध करब नितान्त आवश्यक। कवितोमे यैह सत्य घटित होइत अछि। एकरा द्वारा हम जन-मानसकेँ की दऽ रहल छिऐक से सोचब साहित्यकारक प्रथम कर्तव्य थीक। 'ध्वंस-पर्व' नामसँ ध्वंस पर्व रहितहुँ एहन कोनो ध्वंसपूर्ण कुक्रिया नहि कऽ वस्तुत: 'तमसो मा ज्योतिर्गमय' केर प्रक्रियामे तमस् मात्रकेँ ध्वस्त-निरस्त करबा लै प्रस्तुत अछि जे स्वस्थ ज्योति-अवतारणाक हेतु सहज-स्वाभाविक आवश्यकता थीक। एकर कवि कविताक जे शाश्वत आ मूल आधार अछि, जकरा द्वारा ओ इमानदारीपूर्वक जनताक प्रति अपन विशुद्ध हृदय आ चेतनाकेँ सम्प्रेषित कऽ सकैत अछि, तकरे ग्रहण करैत छथि। सहज, व्यवधान रहित, स्वच्छ दर्पण जकाँ निर्मल आ लक्ष्यक प्रति ओना प्रतिबद्ध आ समर्पित जेना सहज रूपमे क्यो जीवनमे रहि सकैत अछि। असलमे, ध्वंसमे जे तेज आ वेग होइत छैक ताहि बीचमे कोनो प्रश्न वा द्वंद्वकेँ उपस्थित हैबाक अवसरे कतय भेटि सकैत अछि? एहि रूपमे 'ध्वंस-पर्व' आधुनिक मैथिली कविताक सशक्त बानगी सेहो बनैत अछि। 

'ध्वंस-पर्व'क पृष्ठभूमि : मार्क्सवाद 

    विश्वमे मार्क्सवाद एकटा बज्रनाद () करैत आयल आ सिसुकी () छोड़ैत शून्यमे चल गेल। ओ अपना पाछू कोनो छापो नहि छोड़लक, जेना कै टा आन्दोलन वा विचारधारा अनिवार्य रूपेँ छोड़ैत अछि, कारण विश्व-प्रकृतिक संक्रमणशीलताक क्रममे ओ एक अर्थपूर्ण घटना होइत अछि। तकरा विपरीत ओ अपन अपूर्णता आ असत्यताक कारणेँ अपना पाछू विकट समस्या आ ओझराहटिक जाल-जंजाल अवश्य छोड़ि गेल, जकरासँ मुक्त हैबामे विश्वकेँ औरो अनेक समस्याक दौरसँ गुजरय पड़तैक, जखन कि ओ वस्तुत: () विश्वक आ मानव जातिक किछु मूलभूत समस्याकेँ सोझराबय आयल छल। तथापि ई मानय पड़त जे मार्क्सवादक मूल उत्स समाजक शोषित-बुभुक्षित वर्गक दैन्य आ ओकरा पाछू जे शोषणपूर्ण समाज-व्यवस्था छल तकरा सब दिनक हेतु निरस्त करब छल। की एहि रूपमे मार्क्सवादक मूल तावत् धरि समाप्त भऽ सकैत अछि यावत् ई मूल समस्या बनल रहत? दोसर दृष्टिएँ, की मार्क्सवाद वा कोनो आदर्शवादकेँ हम सफलीभूत कऽ सकैत छी यावत् धरि ओकरा लागू करबाक व्यावहारिक साधनकेँ हम ओतबे शुद्ध नहि बना ली जते कोनो लक्ष्य वा आदर्श होइत अछि? यावत ओकरामे इमानदारी आ ई नीति नहि आनी जे कोनो वाद वा आदर्श मनुक्ख लै होइत छैक, मनुक्ख ओहि वाद लै नहि होइत अछि। से सिद्धान्त आ साधन दुहूमे मार्क्सवाद धर्मक गलत अर्थ लगौलक, मात्र यूरोपीय चर्चकेँ धर्म बूझि ओकर मर्मे नहि अँकलक, वर्ग-भेदके ँ सर्वथा समाप्त करबाक घोषणा केनिहार विश्वक सभसँ बड़का वर्ग-भेदक सर्जन कैलक, कोनो देशक जे आत्म-संस्कृति हाइत छैक तकरा साम्राज्यवादी ढंगेँ कुचलि देबाक चेष्टा कैलक आ तकरा बदलामे ओ अपन धर्म, अपन दर्शन, अपन इतिहास दृष्टि, एते धरि जे अपन विज्ञान (यथा द्वंद्वात्मक भौतिकवाद) देलक, ऊपरसँ बहुत भारी भयावह लगैत किन्तु भीतरसँ एतेक फोकिला-कचकूह जे तकर क्रियान्वयनमे ओ विश्व-इतिहासक सर्वाधिक भयंकर अमानवीय हिंसा आ भ्रष्टाचरण केर भीषण अन्हड़ अनलक, लहरिपर लहरिक रूपमे, जकरा मिटलका बाद आब ओकर जन्मभूमि रूसकेर लोक जँ किछु चुनि-बीछि बचाबऽ चाहैत अछि तँ ओकरा घुप्प अन्हारमे भेटैत छैक कुत्सित ध्वंस केर भस्म मात्र, मुइल हाड़-मांस आ कलुषताक वीभत्स कीड़ा आ 'वाइरस' सभ  जाहिसँ उबरब पुन: ओकरा भयंकर समस्या भऽ रहल छैक। 
    मार्क्सवादक एहन अपूर्णसँ और अपूर्ण आ तत्त्वक्षीण होइत कते प्रकारक भ्रान्त मतवाद, विश्वास, धारणा, संस्था, संगठन, साहित्य आ रोमांसवादी कविता जन्म लेलक जकरा ओ जोर-शोर प्रचारक बलेँ (प्रचार तँ असत्येक होइत अछि, सत्यक नहि) विश्वक अनेकानेक देशकेँ अपन सम्राज्यक अंग बनैबाक साधनक रूपमे उपयोग करब आरम्भ कैलक- एक सम्पूर्ण मानवता विरोधी अभियान जे किछु देबासँ अधिक बहुत   रास बहुमूल्य निधिकेँ आततायी लुटिहारा जकाँ ध्वस्त-विनष्ट कऽ देबाक सुनियोजित आन्दोलन चलौलक। मुदा अपन मुइल आत्मा लऽ कऽ अनका ककरो मारबाक डेग एहन दुस्साहसपूर्ण कार्य होइछ जे पहिने ओ स्वयं सहसा दम तोड़ि दैत अछि। की क्यो कल्पनो कऽ सकैत छल जे तकरे उदाहरण बनि मार्क्सवाद अन्तत: एक इतिहास आ एक उन्माद केर अन्त () केर अन्तिम अध्याय लिखि एना भऽ कऽ शान्त भऽ जायत? से ओ शान्ते टा नहि भऽ गेल प्रत्युत विश्वक इतिहास-राजनीति-समाजशास्त्रीय विद्वान-प्रबुद्ध युगचेता आ भविष्यवक्ता सभकेँ अपन आकस्मिक निधनसँ एके बेर मुँह भरे खसा देलक। ओ लोकनि अकचकाइत अपनामे प्रश्न करिते रहि गेलाह जे ई की भेल, कोना भेल? आ मालिकोसँ बेसी मालिकियत जमौनिहार मार्क्सवादक अन्धभक्त नोकर सभ एना अन्तर्क्रन्दन करय लागल जेना कि ओ सभ विधवा भऽ गेल हो। 
    एमहर भारतवर्षक बहुमूल्य ओ महासागर जकाँ गम्भीर चिन्तनक निधि जे वस्तुत: पहिनेसँ मानव मात्रक विश्वनिधिक रूपमे छल, ओ सर्वदैव अक्षुण्ण छल, अछि आ रहत। क्रान्ति ओकर आत्मा थीक, ओढ़ना नहि। तेँ ओकरा सम्मुख विश्वक कोनो तथाकथित क्रान्ति बड़का भ्रान्तिए सिद्ध होयत। मुदा मार्क्स केर भूत जनिका ऊपर एखनहु सवार छन्हि, जनिका एखन धरि ओकर चश्मा उतारबामे असौकर्यक अनुभव होइत छन्हि आ चिर कालसँ अक्षुण्ण अपने घरक निधि ग्रहण करबामे एखनहु अक्षमता छन्हि ओ वस्तुत: एहि भूमिपर रहितो विदेशी आ विरोधीए मानल जैताह। जे माइक दूध नहि पीलक ओ की बूझत ओकर रस आ मोल? मुदा मार्क्सवादी भाइ छथि जनिका सत्यक आ अपने अन्तरात्माक विरोध करबाक तेहन ने लति लागि गेल छनि जे बेचारेकेँ 'चालि, प्रकृति, बेमाय, ई तीनू मुइनहि जाय' एही पथक पथिक बनबाक नियति भऽ गेल छन्हि। रस्सी तऽ जरि गेलनि, ऐंठनि जते जल्दी जान्हि तते हुनके कल्याण हेतन्हि। 
    मार्क्सवाद सभसँ अधिक किछु छल तऽ असाहित्यिक छल। साहित्य-रचना आ मार्क्सवाद दू विपरीत ध्रुव। ओ साहित्य आ साहित्यक रचना वा मूल्यांकन वा समीक्षा की जानय गेल? जानीक ढोढ़क मंत्र ने आ दी दराधक माथा हाथ, सैह परि। ओ 'चीन्ही ने जानी मौसी-मौसी करी' करैत साहित्यमे आयल आ एकरा तेना ने बलात् अपहरण () कऽ लेलक जे एकरा धकिया-मुकिया अपन प्रचार गाड़ीक इंजिन बना लेलक जकर स्टीयरिंग ह्वीलकेँ अपना बज्र मुष्टिमे गसिया लेलक। कारण, यद्यपि प्रचारक तन्त्र ओकरा अनेक छलैक, मुदा ओहि सभमे सभसँ अधिक शक्तिशाली साहित्ये भऽ सकैत छलैक (तेँ प्लेटो अपन आदर्श राज्यमे कविक प्रवेश नहि चाहैत छल किएक तऽ ओ कविक भावुकता-समन्वित शब्द-शक्तिमे आदर्श राज्यक हेतु गम्भीर खतराक सम्भावना देखलक जे बहुत अंशमे ठीक छल)। 
    यदि मार्क्सवाद साहित्यकेँ एना नहि केने रहैत तैयो साहित्य ओकर प्रभावकेँ ग्रहण करबे करितय, मुदा से दोसर साहित्य होइत जकर नकेल साम्यवादी अधिनायकवादक हाथमे नहि रहितैक प्रत्युत ओ सजीव-स्वतन्त्र-मानवतावादी विकास प्रक्रियाक परम्परामे जीवन्त साहित्य होइत। ओकरापर साम्यवादक शासन नहि होइतैक, मुदा ओकर साम्यवादपर अनुशासन अवश्यक रहितैक। मुदा तखन साम्यवाद ओ साम्यवाद नहि रहैत जाहि रूपमे ओ छल। तेँ मार्क्सवाद साहित्य-रचनाक आत्मा आ टेकनिकसँ सर्वथा अनभिज्ञ, मूल रहित अमरलत्ती जकाँ साहित्यक विकासकेँ अपन अप्राकृतिकतासँ गछारि देलक, अवरुद्ध कऽ देलक- विश्व भरिमे। ओकर ध्वंसकारी समीक्षा, कृत्रिम साहित्य-रचनाक नुस्खा आ इतिहास, संस्कृति आदि प्रामाणिक लोक-परम्पराकेर पुनर्लेखन-योजना ओकरा अपने खा गेलैक, कारण मार्क्सवादक संगे जे किछु छल से ओकरे जकाँ मरणधर्मा छल। की हेतैक आब मार्क्सवादी चश्मासँ देखल-रचल ओहि सभ बुद्धि-व्यायाम आ कल्पना-जालकेँ, साहित्यक मनमाना धूम्र महलकेँ, राहुल सांकृत्यायन सन विद्वान केर पसारल साम्यवादी मेघाडम्बरकेँ जे भारतीयताक सूर्यकेँ अपन सघन तम-तोमसँ झाँपि देने छल? (ह: स्वयमेव उग्रास भेल।) गेल, सभ अपन पितामहक संग चल गेल। नाटक आ बजार उसरि गेल, उठि गेल।
   ..... क्रमश: 


          समर्पण 
      -प्रो. शिवाकान्त पाठक 
रुधिर धारमे नहा अपन 
मस्तक जे काटि चढ़ाबय 
भक्ति-थारमे प्राण आरती 
साजि माय लय लाबय
जकरे शोणितसँ सिंचित 
अछि, राष्ट-वृक्षकेर मूल 
तकरे पद रजपर लोटय
ई हिय-करवीरक फूल 

                                                                    5
*********************************************************************************

मिथिला-मैथिली-मैथिल
 - अमलेन्दु शेखर पाठक 

रौदी-दाहीक मारल 
भूकम्पसँ पछारल
कृषि-श्रमिकक पलायनसँ गछारल 
अपने सन्ततिक हाथेँ हारल 
रोजगारक सम्भावनो धोखारल 
उद्योग-धन्धा बहारल 
विकासक पथसँ टारल 
उपेक्षाक महासमुद्रमे 
उभचुभ करैत 
मिथिला । 

अधिकारक आसमे परतारल 
अनचोके छिटकी मारि बजारल 
क ुचक्र क छौकीसँ बोखारल 
गत्र-गत्र ततारल 
मुँह फोलिते लुलुकारल 
इच्छा-आकांक्षापर अङोरा ढारल 
देयादीसँ बारल 
समस्याक जालमे छटपटाइत 
मैथिली ।

भिक्षा-पात्र स्वीकारल
जिम्मड़ जँका गाड़ल 
ऊपरसँ ठेलि नीचाँ ससारल 
मुर्दा जकाँ चितापर पाड़ल 
मातृभूमिसँ अजबारल 
सभ्यता-संस्कृति घोकारल 
माथ झुकौने सभकेँ अवधारल 
आत्मा-गौरवकेँ विस्मृत कऽ
आन्नदित 
मैथिल ।  

                                                                    6

*********************************************************************************

मिथिलाक स्वर्णिम इतिहासक साक्ष्य : कन्दाहाक सूर्य मन्दिर
                                - डॉ. शंकरदेव झा


ओइनिवार शासनक ाल वस्तुत: मिथिलाक मध्यकालीन इतिहासमे स्वर्ण-युग कहयबाक क्षमता रखैत अछि। एहि राजवंशक शासनकालमे मिथिलाक साहित्य, कला, संस्कृति, स्थापत्यक क्षेत्रमे अभूतपूर्व प्रगति आ प्रयोग सब भेल जे आइयो कतहु सम्पूर्ण रुपमे तँ कतहु अवशिष्ट रुपमे विद्यमान अछि। ओइनिवारकालीन सांस्कृतिक धरोहरमेसँ एकटा अछि सहरसा जिलान्तगर्त कन्दाहाक सूर्य मन्दिर। ई प्राचीन मन्दिर आइ मिथिला निवासी ओ सरकारक उदासीनताक कारण उपेक्षित पड़ल अपन अस्तित्वक रक्षाक हेतु जेना मूक चीत्कार कऽ रहल अछि। सहरसा जिला मुख्यालयसँ मात्र सात-आठ किलोमीटर पच्छिममे अछि कन्दाहा। 2008 इ.क मइमे कन्दाहा जेबाक अवसर भेटल छल। महिषीक उग्रतारा भगवतीक दर्शन कऽ घुरबाकाल कन्दाहा गेल रही। जर्जर सड़कक चोट सहैत कन्दाहा सूर्य मन्दिर परिसरमे पहुँचल रही। छहरदेवालीसँ घेरल परिसरमे एकटा बेस ऊँच ढिमकापर तिरहुत स्थापत्य शैलीमे बनल छोट सन मन्दिर, मुदा मन्दिरक भीतर स्थापित कारी पाथरक सूर्य मूर्तिक जे विशालता अछि, तकरा आगाँ मन्दिर बड़ झुझुआन सन लागल। लगभग पन्द्रह फीट ऊँच कारी पाथरक मन्दिराकार सिंहासनक मध्य तीन गुणे एक फीटक सूर्य मूर्ति स्थापित। सात घोड़ावाला रथपर आरूढ़ भगवान सूर्य अभयमुद्रामे ठाढ़। पैरमे ठेहुन धरि बूट। रथक चक्का उत्कीर्ण ओ सारथीक रुपमे बैसल अरुणक हाथमे घोड़ाक बाग। दुनू दिस उषा आ प्रत्युषा ठाढ़ि। सूर्यक माथपर टोपनुमा शिरोमुकुट। हुनक अंग-प्रत्यंगमे आभूषण सब उत्कीर्ण। निश्चित रूपसँ ई मूर्ति अत्यन्त कलात्मक अछि। ततबे कलात्मक अछि एकर मन्दिराकार सिंहासन। सिंहासनमे दुनू दिस कलात्मक पाया, तकरा ऊपरमे मेहराओ। एहि सिंहासनमे अत्यन्त आकर्षक तिलिया-फुलिया सब उत्कीर्ण जे सहजहिँ ध्यानकेँ आकृष्ट कऽ लैत अछि आ मिथिला शैलीक मूर्तिकलाक भव्यताक साक्षी अछि। सिंहासनक मेहराओक शीर्षपर एकटा ‘मेष’ आकृति उरेहल। बारह गोट राशिमेसँ एकमात्र ‘मेष’ राशिक एहि मूर्तिमे अकनकेँ एकर विशेषता कहल जयबाक चाही। 
मन्दिरक छोट सन गर्भगृहमे स्थापित एहि मूर्तिकेँ देखलासँ प्रतीत होइछ जे अवश्ये ई मन्दिर कहियो विशाल रहल होयत। मन्दिर परिसरमे छहरदेवाली अछि से पुरान  ईटक आ बेस चौड़ा बुझना जाइत अछि जे कहियो मन्दिर बेस पैघ रहल होयत। कोनो प्राकृतिक प्रकोप किंवा आक्रान्ताक आक्रमणक कारण पहिलुका भव्य मन्दिर नष्ट भऽ गेल होयत। पछाति कोनो स्थानीय सामन्त वा जमीन्दार द्वारा   एहि वर्तमान छोटका मन्दिरक निर्माण कयल गेल होयत। मन्दिर परिसरक अवलोकनसँ यैह प्रतीत होइछ जे अवश्ये मध्यकालमे ई मन्दिर मुसलमानी आक्रान्ताक शिकार बनल छल। किएक तँ मुख्य सूर्य मन्दिर आ परिसरमे स्थित अन्य मन्दिरमे कारी पाथरक बहुतो भग्न प्रतिमा सब पड़ल अछि। तहिना कारी पाथरक टूटल चौखटि आ स्तम्भ सभ सेहो अछि। मन्दिरक देख-रेख एकटा पण्डा द्वारा कयल जाइत अछि। पण्डा मैथिल ब्राह्मन छथि आ कतोक पुश्तसँ एहि मन्दिरसँ ओ लोकनि जुड़ल छथि। पण्डाजी कहलनि जे मन्दिर परिसर स्थित इनारक उड़ाहीक क्र ममे पाथरक अनेक भग्न प्रतिमा सब बहरायल छल जकरा सबकेँ गौंआ द्वारा एकटा कोठली बना कऽ स्थापित कऽ देल गेलैक। इनारक सम्बन्धमे पण्डाजी कहलनि जे एकर जल चमत्कारी छैक जकरा पिउलासँ केहनो-केहनो रोग ठीक भऽ जाइत छैक। हम स्वयं ओहि इनारक जल पीबि कऽ देखलहुँ वास्तवमे जल अत्यन्त स्वादिष्ट छल। एहि मन्दिरक निर्माण कहिया भेल आ के करौलनि? से किछु कहबामे पंडाजी असमर्थ रहथि। हुनक द्वापर आ त्रेताक वृतान्त सहजे ग्राह्य नहि। एतबे नहि सहरसाक जानल-मानल बुद्धिजीवी, पुरावेत्ता ओ इतिहासकार लोकनि पर्यन्तकेँ एहि अद्भुत पुरातात्विक स्थलक सम्बन्धमे कोनो सुनिश्चित सूचना नहि। जनिकेसँ कोनो जिज्ञासा कयलियनि तँ हुनक उत्तर डपोरशंख सन ओझड़ा कऽ मारि देबऽवला। मुदा एहन गप्प नहि अछि जे कन्दाहाक ई सूर्य मन्दिर एखन धरि रहस्ये बनल अछि। 1934 इ. मे काशीप्रसाद जयसवाल एहि मन्दिरक अवलोकन ओ विशलेषण कयने रहथि। एहि मन्दिरक इतिहासपर आधृत हुनक एकटा शोध-पत्र बिहार एवं उड़ीसा रिसर्च सोसाइटीक जर्नलमे प्रकाशित भेल छल। ओहि शोध-पत्रमे ओ एहि मन्दिरमे उत्कीर्ण एकटा अभिलेखक पाठोद्धार कऽ एहि तथ्यकेँ प्र्रकाशमे अनने रहथि जे ओइनिवार वंशीय नरेश नरसिंहदेव चौदहम शताब्दीक मध्यमे भवादित्य नामसँ एहि मन्दिरमे सूर्यक स्थापना कयने रहथि। निश्चित रुपसँ ओहि अभिलेखक अन्वेषण कयल जयबाक चाही। जायसवालक उक्त लेखक आधारपर बहुतो विद्वान अपन पोथीमे लिखि देलनि जे उक्त अभिलेख प्रतिमाक पाद पीठमे उत्कीर्ण अछि। मुदा पादपीठमे तकला उत्तर ओ किए भेटत? पण्डाजीकेँ सेहो ई सब किछु नहि बूझल। हठात मन्दिरक गर्भगृहमे लागल कारी पाथरक चौखटिपर दृष्टि जाइत अछि। चौखटिपर तीन दिस तिरहुता लिपिमे किछु अभिलेख उत्कीर्ण भेटल। पाथरक चट सब ओदरि जयबाक कारणेँ अभिलेख भखड़ल सन लगैत अछि। तथापि परिश्रम ओ आयास कऽ कऽ ओकरा पढ़ल जा सकैत अछि। अभिलेखक जतबा अंश पाठ्य योग्य अछि से निम्नवत अछि- 
                                                           पृथ्वीपतिद्विजवरो भव (सिंह आ) सी-
                                                           दाशीविषेन्द्रवपुरुज्ज्वलकीर्तिराशि:।
                                                           तस्यात्मज: सकलकृत्य विचारधीरो-
                                                           वीरो (ब)भूव वि (दितो ह) रि सिंहदेव:।
                                                           (दो:) स्तम्भद्वयनिर्जिताहित नृपश्रेणीकिरीटोपल-
                                                           ज्योत्स्नावर्धित पादपल्लवनख श्रेणीमयूखावलि:।
                                                           दाता तत्तनयोद्यशास्त्रविधिन भूमण्डलं पालयन्
                                                          धीर: श्रीनरसिंहभूपतिलक: कान्तोऽधुना राजेत।
                                                           निदेशतोस्यायतनं रवेरिदमचीकत।
                                                          बिल्वपञ्चकुुलोद्भूत: श्रीमद्वंशधर: कृती।
                                                         ज्येष्ठे मासि शकाब्दे शराश्वमदनांकितेस्य गिरा।
                                                         बुध पाटकीय चन्द्र: कृ तवानेतानि पद्यानि।।
                                
एहि शिलालेखमे शक संवतक उल्लेख अछि जकर व्याख्याक प्रयोजन अछि। ‘शराश्वमदन’ क व्याख्या कयला उत्तर- शर-5, अश्व-7 आ मदन-13 होइत अछि। अर्थात शकाब्द 1375 भेल। एहिमे जँ 78 जोड़ल जाय तँ ई 1453 इ. होइत अछि। एहि तरहेँ एहि मन्दिरक निर्माण लगभग साढ़े पाँच सए वर्ष पूर्व भेल छल। मन्दिरक ई शिलालेख इतिहासपर पड़ल बहुत रास परदा सबकेँ  उठबैत अछि। निश्चित रुपसँ मूर्तिक विशालता कहैत अछि जे एतऽ कहियो विशाल मन्दिर रहल होयत जकर न्योँ ओ देवालक अवशेष एखनहुँ अछि। एहि परिसरमे सूर्य सहित अन्यो देवी-देवता लोकनिक मन्दिर छलनि। सम्भवत: मिथिलाक पञ्चदेवोपासना परम्पराक अनुरुप एतऽ पञ्चायती मन्दिर छल। मन्दिर परिसर स्थित कोठलीमे अनेक भग्न प्रतिमा सब अछि ताहूपर किछु-किछु अभिलेख सब दृष्टिगोचर होइत अछि। एहि मन्दिरपर कहियो विधर्मीक आक्रमण भेल छल जाहिमे प्राचीन मन्दिर ध्वस्त भऽ गेल। मन्दिरमे अवस्थित सूर्यक प्रतिमाक सिंहासनक मेहराओ टूटल अछि जकरा प्रतिमाक पुनर्प्रतिष्ठाक समयमे गओँसँ बैसा देल गेल से ओहिना बुझाइत अछि। मन्दिरसँ किछुए दूरीपर एकटा कर्बला अछि आ एकटा विशाल माटिक ढिमका अछि जे सुजातगढ़ीक नामसँ प्रसिद्ध अछि। ई सब एहि मन्दिरकेँ मुसलमानी आक्रमणक निशाना बनब प्रमाणित करैत अछि। 
कन्दाहाक सूर्य मन्दिर ओ एकर शिलालेख ओइनिवारकालीन मिथिलाक इतिहासपर नवीन दृष्टिएँ सेहो सोचबाक लेल विवश करैत अछि। ओइनिवार राजवंशक वंशावलीमे बहुतो इतिहासकार लोकनि नरसिंहदेवक नाम विलोपित कऽ देने छथि। शिवसिंहक उपरान्त पद्मसिंह ओ हुनक पत्नी विश्वासदेवी मिथिलापर   शासन कयलनि। मुदा विश्वासदेवीकेँ कोनो सन्तान नहि छलनि तेँ ओ पद्म सिंहक पितियौत भाय अर्थात भवसिंहक पौत्र ओ देवसिंहक छोट भाय हरिसिंहक पुत्र नरसिंह दर्पनारायणकेँ अपन उत्तराधिकारी बनौलनि। नरसिंह जेहने पराक्र मी छलाह तेहने साहित्य-संस्कृति ओ कलाक संरक्षक। एहि महाराज नरसिंहक आश्रयमे रहि महाकवि विद्यापति ‘विभागसार’ नामक ग्रन्थक रचना कयलनि जकर मंगल श्लोकमे नृपतिक रुपमे नरसिंहक प्रशस्ति गायन भेल अछि। नरसिंहक पत्नी रहथिन परमविदुषी धीरमती। विद्यापति एहि धीरमतीक आज्ञासँ दानवाक्यावलीक रचना कयलनि जाहिमे हिनक विद्वता ओ दानशीलताक भूरि-भूरि प्रशंसा भेल अछि। धीरमती अपना समयक एकटा निविष्ट कवयित्री सेहो छलीह जनिक अनेक मैथिली पद सभ हालमे आविष्कृत भेल अछि। अपन एकटा पदमे धीरमती अपन पति नरसिंहक नामाल्लेख करैत लिखैत छथि-
                                                                 धीरमती पद गाओल रे, रस बुझ रसमन्ते।
                                                                 नृप नरसिंह रसनागर रे, जन्हि पाओल कन्ते।।
निश्चित रुपसँ ओइनिवार वंशक एहि प्र्रतापी नरेश दम्पतीक शासन कालमे जँ एक दिस संस्कृत विद्या ओ साहित्य समृद्ध भेल तँ दोसर दिस स्थापत्य कलाकेँ सेहो तहिना प्रोत्साहन भेटलैक। एकर प्रमाण अछि नृप नरसिंह निर्मित कन्दाहाक भव्य सूर्यमूर्ति जकर मन्दिर सेहो तेहने भव्य रहल होयत। पुरनका मन्दिरमे प्रयुक्त अलंकृत प्रस्तर खण्ड ओ चौखटिक किछु अंश वर्तमानहुँ मन्दिरमे लागल अछि। मुदा मिथिलाक इतिहासक ई धरोहरि आइ अरक्षित टूअर-टापर जकाँ पड़ल अछि। यद्यपि बिहार सरकार 1979 मे एकरा पुरातात्विक सम्पति घोषित कऽ चुकल अछि। मुदा ई घोषणा मात्र कागजी अछि। ने तँ मिथिलाक एहि एकमात्र सूर्य मन्दिरक संरक्षण-संवर्द्धनक क ोनो योजना सरकार लग छैक आ ने स्थानीय  जनप्रतिनिधि लोकनिकेँ तकर कोनो चिन्ते छनि। प्रयोजन तँ छल एहि मन्दिरकेँ पर्यटन स्थलक रुपमे विकसित कयल जैतय। पुरातत्व विभाग द्वारा एकर खोदाइ कयल जैतय। एहि मन्दिरक मूर्ति जे निरन्तर पानि ओ सिन्दूर पड़लाक कारणे विनष्ट भऽ रहल अछि। ताहि दिस लोककेँ सचेत कयल जैतय एहि मन्दिर ओ एहिसँ जुड़ल इतिहासके ँ सामने आनल जैतय। मुदा एतेक काज के करत? एहि लेल ककरा पलखति छैक। तखन अपना भाग्येँ जतेक दिन धरि ई धरोहर बचल जा रहल अछि तकरा की कम कहल जा सकै त छैक?
सम्पर्क :  कबिलपुर, लहेरियासराय, दरभंगा, मो.- 09430639249      
                                                                      
                                                                      7
********************************************************************************

फेसबुकिया परिवार




(आइ-काल्हि फेसबुक जाहि तरहें मैथिल समाज में अपन स्थान बनेने जा रहल अछि तेकरा ध्यान में रखैत किछु मनोरंजनात्मक लेकिन सच कथा हम लिखय जा रहल छी - मातृभाषा पत्रिका लेल जे मैथिली ई-पाक्षिक के रूपमें आइ संध्याकाल सँ हमरा सभक सोझाँ अयबाक बात व्यवस्थापक रोशन कुमार झा कहलनि अछि।)




बाबु: हे रौ! नुनुआं! जहिया सऽ तूँ ई 2G-3G मोबाइल फोन पठौलें आ फेसबुक पर जोड़लें तहिया सऽ बुझ जे ई मोबाइल हरदम च्यों-च्यों करैत रहैत छौक।

नुनु: से कि बाबु? फंक्शन सभ तऽ सबटा बता देने रही ने? किछु दिक्कत भऽ रहल अछि तऽ फेर बुझा दी।

बाबु: अपन बचपनवाला बात आ किछु रास फोटो सभ जहाँ अपलोड करैत छियैक आ कि तोरा तड़ातड़ लोक सभके लाइक आ कमेन्टक बौछार भऽ जाइत अछि आ ततबा बेर मोबाइल चिचियैत अछि जेना बुझ जे हमर मुइलहा बाबा ऊपर सऽ शोर कऽ रहल होइथ... हे रौ नागे... हे रौ हरवाह खेत पर गेलौ कि नहि से गेबो केलही देखय लेल... मान जे वैह आवाज हमरा काम में पड़ैत रहैछ।

नुनु: देखियौ बाबु! अहाँ सभ दिन रहलहुँ मिथिला के माटि-पानि में आ हम सभ बनि गेलहुँ परदेशी... तखन तऽ जतय रहत धिया-पुता ओतहि नऽ अहुँ के रहय पड़त... ई घुमा-फिरा कऽ हमरा जे अहाँ गामक प्रलाप सुना रहल छी से हम सभ बात बुझैत छी। १० दिन नहि एना भेल अछि दिल्ली आ लगलहुँ बाबा के बात मोंन पारय।


बाबु: (खिखियैत) छौंड़ा... आखिर बेटा केकर छी... धियेपुता सऽ हमर मास्टर सभ कहने छल जे नागधर... तोहर संतान सेहो बड़ होशियार हेतौक... उड़ैत चिड़िया के पकैड़ लेतौक! से सही में! ई नुनुआ हमर भितरका बात चट दिन बुइझ जाइत अछि। (जोर सऽ हाक पाड़ैत) हेगै मुन्नी! ला दू कप गरमागरम चाह... ओना तऽ दिल्ली में ततेक गर्मी पड़ैत छौक जे बाहर-भितर दुनू आइग फुकने रहैत छौक... लेकिन जहाँ चाह के गर्मी देबैक आ कि बुझ जे गर्मी - गर्मी के कटतैक।


नुनु: (बाप के हंसीमें संग दैत दाँत खिसोरैत) आ... आब कि दिल्ली आन छी... ईहो तऽ मिथिले न छी? हस्तिनापुर आ मिथिला के कतेक पटरी खाइत छैक से नहि देखैत छियैक? 

(दुनू बाप-बेटा दाँत खिसोरैत हंसैत छथि... ताबत  मुन्नी चाय लऽ के अबैत छैक... आ कि ओकरो मोबाइल में नोटिफिकेशन ट्युन बाजि उठैत छैक) 

बाबु: बुच्ची! बुझाइत अछि तोरो कोनो सूचना छह... देखहक... कहीं हमर होइवाला जमाय तऽ नहि फोटो पर लाइक या कमेन्ट पठेला छथि? 

मुन्नी: (लजाइत) बाबु! अहुँ के मजाक करऽ के आदैत नहि छूटत... भैया के सोझां में हमरा संगे मजाक कऽ के खिसियाबैत छी... लेकिन सच तऽ यैह छैक जे अहाँ के होइवाला जमाय के बुझू तऽ आर किछु काजे नहि रहैन - भैर दिन हमर फोटो सभ ताकि - ताकि के लाइक आ कमेन्ट पठबैत रहैत छैथ। सभटा खत्म भऽ जाइत छैक तऽ कहैत छैथ जे नवका-नवका पोजवाला फोटो अपलोड करू नहि तऽ हम पापा लग दहेज माँग करऽ के सिफारिश कय देबैन.. बिसैर जायब जे हम दहेज मुक्त मिथिला के तरफ सऽ शपथ खेने दूलहा विवाह लेल हामी भरलहुँ अछि। से बाबु, अहाँ हुनकर वाल पर पोस्ट कय दियौन जे बेसी ऊचक्का जेकां मैसेज आ पोस्ट सभ नहि करैथ... मजबूरन हमरा ब्लॅक करय पड़त।

नुनु: देखिहऽ तऽ ध्यान दिहक... आइ-काल्हि के युवा सभ के ई फोटो लाइक करनाइ - फ्रेण्ड रिक्वेश्ट पठेनाइ आ शेरो-शायरी... बूझा रहल अछि जे सभ केओ कवि आ मशहूर शायर बनि जायत... एतय तक जे आइ-काल्हिक लड़कियो सभ अपन फोटो तेहेन-तेहेन लगबैत अछि जे बाबु के उमेर वला लोक सभ सेहो पहुँचि जाइत छथि हाइ-हुंइ करय लेल।

बाबु: रे चुप! बेटीके सोझां में तों एना कहबें। (बेटा के डपटैत)

मुन्नी: भैया! से जों हेतैन तऽ चैन पर खापैर फोड़ि देबैन... पहिले वर्च्युअल मिटींग सऽ रियल मिटींग तऽ होमय दियऽ। 

नुनुः गाम-वाला काका के बेटा कुमर सेहो फोन केने छल... पूछि रहल छल जे लड़का के गाम जा के घर-परिवार देखनाइ सेहो जरुरी अछि। फेसबुक पर तऽ लोक गाड़ी संग फोटो खिचा लेलक आ कहि देलक जे दिस इज माइ न्यु कार... १० गो अपनहि नजदिकी लफुआ मित्र सभ सऽ कांग्रेच्युलेशन लिखबा लेलक... से सभ भाइ ध्यान राखब आ एक बेर ओकर गाम के स्टेटस चेक करब बहुत जरुरी छैक। फेसबुक पर ओकर गाम के पेज देखलहुँ... मरल सन के बुझाइत छैक... नहि कोनो धरोहर न खास कोनो इतिहास आ ने बेसी मेम्बरे।

मुन्नी: आब जेहेन छैक... लेकिन हमर छैक... फोकटिया कमेन्ट के हम कहियो केयर नहि केलियैक अछि। बस! एक बेर पति के रूपमें स्वीकार कय लेने छियैक आ आब हमरा ओही लड़का सऽ विवाह करबाक अछि। ई लव बेर-बेर नहि कैल जाइत छैक... भले इन्टरनेट किऐक नहि हो। हमरो भारतीय नारी होयबाक गर्व अछि। 

बाबु: वाह, वाह! बेटी! आखिर बेटी केकर छियें! मास्टर हमरा बच्चे में कहने छलाह जे नागधर तोहर संतानो तोरे जेकां आदर्शवान हेतह। गर्व अछि तोरा सभ पर।

मुन्नी: (नाक फूलबैत) बाबु! काल्हि हुनकर एगो पोस्ट आयल छैक, ताहि पर नहियो किछु तऽ २५० लाइक आ ५०० सऽ ऊपर कमेन्ट अयलैक अछि। कहू तऽ ओ मामूली लोक भऽ सकैत छथि? बुद्धिक परावार नहि छन्हि।

नुनु: कुमर के कहब सऽ हम सहमत छी... ई विवाह तखनहि करेबौ जखन ओकर गाम जाय सभ किछु नीक जेकां पता लगायब।

मुन्नी: भैया! दहेज मुक्त मिथिला पर जे जुड़ल छैक से केओ फोकटिया नहि भऽ सकैत अछि। कारण ओहिठाम लोक के बड़ हिसाब-किताब सऽ जोड़ल जाइत छैक। एकोटा इन्फोर्मेशन गलत नहि भऽ सकैत अछि। 

नुनु: तखन ओकर गामक पेज कियैक मरहन्ना जेना छैक?

बाबु: भऽ सकैत छैक जे गाम में खाली जमाय बाबु के परिवार कनेक मुँहगर-कनगर हो आ मोबाइल पर फेसबुक आ सोशियल मिडिया के उपयोग बुझि सकल हो... पेज देखि के गाम नीक बेजाय निर्णय नहि कैल जा सकैत छैक। हम सहमत छी जे कुमर के ओहि गाम के पूरा पता लगेबाक चाही... आ हम तऽ कहबऽ जे अहू काजे हमरे जाय दऽ तू सब। खाली गामहि नहि, कुल-मूल-पाँजि आर बहुत तरहक बात होइत छैक जेकर अनुसारे निर्णय करबाक एक पौराणिक परंपरा रहलैक अछि।

मुन्नी: लेकिन बाबु... आब ई सभ बात प्रथम नहि बादक भऽ गेल... हमर विचारे लड़का के विचार आ पुरुषार्थ अन्तिम भेल जेकरा हम वरण करब। 

नुनु, बाबु आ मुन्नी सभ एक दोसर के मुँह तकैत मुस्कुराइत एहि बात के सहमति दैत छथि आ आजुक युग में प्राथमिकता लड़का-लड़की के कैरियर मात्र होइछ... बहुत तरहक दुनियादारी सऽ कोनो सरोकार नहि... यदि इन्टरनेट सऽ विवाह ठीक होय तऽ बस एक करार यैह जे लड़का आ लड़की विवाहोपरान्त अपन स्वतंत्र कैरियर के संग राष्ट्र लेल सेहो योगदान देत, ई नहि जे झूठ के पारिवारिक शान के चक्कर में केओ केकरो ऊपर हावी बनत।


जय मैथिल समाज! जय मैथिली! जय मिथिला!

हरिः हरः!

                                                                                 8
*********************************************************************************
कथा
कर्तव्य निर्वाह
- अमित कुमार मिश्र

शहरक एक मात्र नामी सरकारी हाँस्पिटलक इमरजेँसी वार्डमे होइत कन्ना-रोहटि
पूरा प्रांगनकेँ कपाँ रहल छल । अगल-बगलक  ।"
बच्चा हाँफैत नर्सकेँ खोजऽ लागल मुदा नर्स नञि भेटलै ओ दोसर वार्डकेँ
नर्सकेँ कहलक सुइया लगा दै लेल नर्स जबाब देलनि ,"हम एखन ड्यूटीपर नञि
छी , किनको दोसरकेँ कहू ।"
बच्चाक आँखिसँ खसैत नोर गालके भीजबैत उज्जर फर्शपर पसरि रहल छल ।ओ फेर
डाँक्टरकेँ जा कऽ कहलक । डाँक्टर साहेब फटकारैत बाजला ,"हम डाँक्टरीक
डिगरी सुइया भोँकै लेल नञि लेलौँ ।"
बच्चा हतास भेल ओहि मरैत शरीर लग बैसि गेल । साँस आरोह-अवरोह करैत बन्न
भऽ गेलै । ओहि 14 वर्षक अनाथक आँखिसँ नोर झहरैत रहल आ एहि ब्रम्हांडक
दोसर भगवान अपन कर्तव्य निर्वाह करैत रहला ।


                                                                             9

*********************************************************************************


बाल गजल

आइ बौआ चलेँ जंगल घुमै लेए
शेरके राजपर पोथी लिखै लेए

डरक नै बात ओकर मन सजीबक छै
चलब हाथीक साक्षात्कार लै लेए

बाल एखन भविष्यक शेर छेँ बौआ
स्वर्ण आखरसँ इतिहासो रचै लेए

बाटमे छै पहाड़ो पैघ वर्फक रौ
चल तऽ वर्फक अजब खेला करै लेए

बैसले घर अपन जंगल घुमब एखन
बैस जो "अमित" तूँ चंपक पढ़ै लाए

फाइलातुन-मफाईलुन-मफाईलुन
2122-1222-1222

बहरे-मुशाकिल

अमित मिश्र


                                                                       10
*********************************************************************************


मैथिली’ पर चुप्पी
- रौशन कुमार झा 'मैथिल'

पछिला दिन 31 अगस्त 2012 केँ  साहित्यकार ओ साहित्य अकादमीक पूर्व प्रतिनिधि डॉ. सुरेश्वर झाकेर अभिन्नदन समारोमे विधान परिषदक पूर्व सभापति पं. ताराकांत झा समेत दरभंगा आ बाहरक कतेको गणमान्य उपस्थित छला। अभिनन्दन बड़ धूमधामसँ भेल, मुदा एहि समारोहमे पं. ताराकान्त झाक घोषणा चर्चाक विषय बनल। दरभंगाक सभ दैनिक समाचार पत्र हुनका द्वारा लेल गेल स्ट्ेटमेन्टकेँ छपलक। एहिमे पं. झाकेर कहब छलनि जे बिहार सरकार सुर्पीम कोर्ट द्वारा देल गेल निर्देशक अवहेलना कऽ रहल अछि। सभापतिक पदपर रहबाक बहुत रास बन्धनक चर्चा सेहो ओ कयलनि। ओ डाटा रखलनि जे कहिया-कहिया बिहार सरकार पछिला लगभग छओ दशकसँ मैथिलीकेँ प्राथमिक शिक्षाक माध्यम बनेबा लेल आदेश निर्गत करैत रहल अछि। मैथिलिकेँ शिक्षाक माध्यम बनेबा आ मैथिलि शिक्षकक बहालीपर सरकार द्वारा ध्यान नञि देबाक बात सेहो ओ कहलनि। ओ कहलनि जे आब मिथिला हुनक अपमान चुपचाप नञि सहत। एहि लेल ओ आन्दोलन करता। अभिभावक लोकनिसँ   आग्रहक अभियान चलत जे ओ अपन धीयापूताकेँ मैथिली पढ़यबा लेल सरकार आ विभागपर दबाव बनाबथि।
पेपरमे एहि तरहक खबरि पढ़ि किछु सोचबा लेल विवश भऽ गेलहुँ। आखिर ई केहन बिडम्बना अछि जे माँ मैथिलीकेर अधिकांश सपूत कहौनिहार जा धरि कोनो पदपर रहै छथि ता धरि हुनका मिथिला-मैथिलीक लेल समय नञि रहै छनि। किछु बजबामे असौकर्य होइ छनि, मुदा कुर्सीसँ हटिते फुफकारि उठै छथि। कोनो राजनेता सत्तामे रहि माँ मैथिलीक लेल अपन विद्रोही तेबर नहि देखा पबै छथि। तेलांगनक सांसद आ विधायक जकाँ पद त्यागबाक चेतौनी नहि दै छथि। अन्तरात्मा ईहो कहैत अछि जे यैह किछु गोटे तँ छथिहो जे एखन धरि माँ मैथिलीकेँ अधिकारक वैचारिको आन्दोलनकेँ जिऔने छथि। हिन्दीमे एकटा कहाउतो प्रसिद्ध अछि जे ‘सुबह का भूला अगर शाम को लौट आए तो उसे भूला नहि कहते’। पं. ताराकान्त झाक स्टेटमेन्ट एलाक उपरान्त बिहार सरकार आनन-फाननमे फैसला केलक अछि जे मैथिली शिक्षकक बहाली सेहो होएत। बिहार सरकारकेर शिक्षामंत्री घोषणा तँ कऽ देलनि मुदा हमरा जनैत ई घोषणा मिथिलावासीकेँ ठकऽ लेल कएल गेल अछि। मंत्री महोदय घोषणामे कहलनि जे स्नातक, प्रतिष्ठा आ स्नातकोत्तरमे मैथिली विषय लेनिहार सभकेँ मैथिली शिक्षकक रूपमे बहाल कएल जाएत। किछु कालक लेल मनमे प्रसन्नता भेल जे चलू अबेरे सही मुदा बिहार सरकार घोषाा तँ केलक। मुदा प्रसन्नता बेसी काल धरि नहि रहल कारण मन्थन केला उपरान्त जे निष्कर्ष निकलल ओ निराशाजनक छल।
धियापुतामे एकटा कहबी सुनने रहि ‘ने राधाकेँ नओ मोन घी हेतनि ने राधा नचती’। एहि ठाम सेहो ई यर्थाथ भऽ रहल अछि। सवाल उठैत अछि जे 1989 केर बाद कते गोटे मैथिली विषय लऽ कऽ पढ़ने छथि। 1 हजार, 2 हजार वा 5 हजार? नहि ई आँकड़ा सैकड़ोमे नहि अछि। बिहार सरकार नीक जकाँ जनैत अछि जे एहि बीचक ने  शिक्षक भेटत आ ने बहाले करऽ पड़त।
बिहार सरकारक पोल मात्र किछु दिनमे सभक समक्ष आबि गेल। जखन बिहारक मुख्यमंत्री नीतिश कुमार शिक्षक दिवसक दिन घोषणा केलनि जे प्रत्येक विद्यालयमे उर्दू शिक्षकक बहाली कएल जाएत। ओ ईहो कहलनि जे अंग्रेजीक संग-संग उर्दू पढ़ेनाइ सेहो आवश्यक अछि। एहि कारणे 27000 उर्दू शिक्षककेँ बहाल कएल जाएत। प्रश्न उठैत अछि जे मुख्यमंत्री  27000 उर्दू शिक्षकक संग 10000 मैथिली शिक्षककेँ बहाल करबाक घोषणा किए ने केलक? मैथिलीपर चुप्पी किए? एहूसँ बेसी सालैत अछि आमजनक एहि मुद्दापर चुप्पी। ई चुप्पी कहिया धरि बनल रहत। कहै छै जे बच्चोकेँ माय तखने दूध पियबै छथि जखन ओ कनैत अछि। की हमरा लोकनि अपन चुप्पी तोड़ब? आकि मान-अपमान दुहू स्थितिमे जेना चुप रहैत आयल छी तहिना दिन काटि लेब? मुर्दा जकाँ कहिया धरि पड़ल रहब?
                                             
                                                                              11
*********************************************************************************
"डोमकच" : अतुल्य मिथिलाक अद्‌भूत साँस्कृति विरासत/रिवाज/खेल ।
 भारत ओ नेपालक पावित्र-भूमि "मिथिला"मे बहुत एहेन साँस्कृतिक ओ पारँपरिक आयोजन होयत रहल अछि , जे एत्तुका लोक-जीवनमे सुदीर्घ कालसँ रचल , बसल ओ समाएल अछि/छल । 

मिथिलाक लोक-जीवनमे एहेने तरहक एकटा मनोरंजक कार्यक्रम "डोमकच" अछि , जे पुरूषक विआहक अबसर पर खेलाएल जाएत छल । 

"डोमकच" एकगोट आनुष्ठानिक विधान होइत अछि । एहि लेल लत्ता/कपड़ा या खाट(चारपाई)क टाँग कए जलुबा(लड़का) बनाएल जाइत अछि , जेकरा माँथ पर कारी कपड़ा लपेट कए ओकर आँखि कौड़ी कए बनाए काजल लगाएल जाएत अछि । 

जलुबा अर्थात लड़काक पुतला बनलाक बाद एकर जन्मसँ लए विआह धरिक स्वाँग प्रस्तुत कएल जाएत अछि , संगहि विभिन्न संस्कार गीत गाओल जाएत अछि । लोक विश्वास अछि जे जलुबा सुनर होएत तँ कनिया सेहो सुनर भेटती । जलुबाक बिआहक बहुते छोट-छोट स्वांग रचल जाएत अछि । 

पहिले बेटाक बिआहमे स्त्रीगन बरियात नहि जाएत छली । गाममे खाली जनानी रहि जाएत छली , कारण परिवार ओ गामके सभ छोट-बड़-बुजुर्ग पुरूष बरियात चलि जाए छलाह । बिआह बाला घरमे महिला सर-कुटुम सेहो आएल रहैए छली ।महिला कुटुम संग गामक लोकक गहना-गुड़ियाक ओगरबाही केना होएत । समान चोरि नहि भए जाए , तैँ जागरण आवश्यक अछि । रातिकेँ जागरण एकटा मुश्किल काज होइत अछि । 

एहि सभ कारणेँ संभव अछि जे कोनो एकटा गाममे महिला सभ जागनाए शुरू केने हेती आओर जागैए लेल संस्कारसँ जुरल मनोरँजनात्मक कार्यक्रम "डोमकच" प्रारंभ केने हेती , जे आवश्यक्ता ओ कालक प्रवाह संग समस्त मिथिलामे पसरि गेल , जे वर्तमानमे मिथिलाक अद्‌भूत साँस्कृतिक विरासत मानल जाएत अछि । मुदा आय लोक एहि व्यवस्थाकेँ बिसरि गेल छथि , अर्थात मिथिलाक ई बिरासत खंडहरमे बदलि गेल अछि । 

आब डोमकच कथाकेँ आगू बढाबी । जलूबाक बिआहो-परान्त स्त्रीगन सभ जागरण करैय खातिर आपसमे मजाक , छोड़छाड़ आओर चुहलबाजी करैय छथि । एहिलेल स्त्रीगनमे सँ एकटा जनानी धोती-कुरता पहिड़ , मुरेठ्ठा बान्हि पुरुष बनैय छथि , संगहि कान्ह पर एकटा लाठी सेहो रखैय छथि , जाहिमे एकटा मोटरी बान्हल रहैत अछि । एकर बाद खेल सुरू भए जाएत अछि । पुरुष बनल स्त्री , स्त्रीगन संगे छेड़खानी करैय छथि । मिथिलाक महिला सभक खेल छी तँ गीत-नाद हेबे करत । 

डोमकचमे गाओल जाए बला गीतमे पुरुष-स्त्रीक विआहक बादक संबंधक वर्णन रहैत अछि । परदेश गेल घरबला द्वारा दोसर स्त्रीसँ संबंध बनाबैय पर , घरमे असगर रहिगेल घरबाली द्वारा आन पुरूषसँ संबंध बनाबैय पर आओर बिआहक जीवन पर ओकर प्रभावक वर्णन रहैत अछि । 

डोमकच माँगैय लेल जनानीक झुण्ड पूरा गाममे घुमैय छथि । एहिसँ राति भरि गामक स्त्रीगन जागल रहैत छथि , संगहि समस्त गामक स्त्रीगनक मनोरंजन सेहो होइत छल । एहि कालमे जौँ कोनो पुरुष भेट भए जाए छथिन , तँ हुनक दुरगति बूझू । स्त्रीगन हुनका सँ मजाक करबाक मे सभट मर्यादा बिसरि जाए छथिन । सनहि-सनहि शहरीकरण , महिला सभकेँ बरियातमे जेबाक आओर मैथिल स्त्रीगनक अपन साँस्कृतिक विरासतसँ विमुखताक कारणेँ "डोमकच" खेल समाप्त भेल जा रहल अछि या भए गेल अछि । 

ॐहर-हर

                                                                                                           11

************************************************************************************************************


पत्रिकामे प्रकाशित विचार लेखकक निजी अछि . संस्थाक सहमति जरूरी नहि. 

प्रकाशन-संपादन अव्यवसायिक एवं अवैतनिक.